अजीत झा एखन मैथिली लेखन मे डेग रखलनि अछि कि ओ सोशल मीडिया पर बेस चर्चा बटोरि रहल छथि. हुनक पछिला वीडियो 'हे यौ पहुना' एक लाख सं बेसी बेर देखल गेल अछि. मैथिली कविता ओ गीतक म्यूजिक रहित वीडियो मे सं ई पहिल वीडियो अछि एतेक रास बेर देखल गेल अछि.
ज्ञात हो जे उक्त वीडियो सेहो शिवानी झा केर स्वर मे छलनि आ गीत अजीत झा केर लिखल छलनि.
प्रस्तुत वीडियो एक ऑडियो/वीडियो सीरीजक पहिल खेप अछि जे अजीत झा लिखित ओ शिवानी झा केर स्वर मे 'मिथिमीडिया यूट्यूब' चैनल पर रिलीज कएल जाएत.
'जओं आंखि सं हम नोर बहबितहुं' गीत शिवानी झाक स्वर मे एतय सुनू:
मिथिमीडिया केर YouTube चैनल Subscribe करी.