
मैथिली भवनमे सोमदिन बैसल कार्यसमितिके बृहत बैसारमे जिलाक कतेको सघन साक्षरता कक्षा नेपाली भाषामे सञ्चालन भेल कहैत तत्काल एकरा रोकबाक मांग कएलक अछि.
परिषद्क मांग प्रति शिक्षा कार्यालय गम्भीर नै भेल कहैत चरणबद्ध रूपमे सशक्त संघर्षमे उतरबाक सर्वसम्मत निर्णय भेल अछि. संघर्षक कार्यक्रमके विषयमे परिषद्क पूर्वअध्यक्ष, अग्रज, मैथिलीकर्मी, परिषद्के भगिनी संस्थासब सँगे परामर्श कैरत आगू बढबाक निर्णय भेल अछि. नेपालके २०४७ सालक संविधान आ २०६३क अन्तरिम संविधानमे सेहो मातृभाषामे शिक्षाक विषयमे स्पष्ट व्यवस्था रहलोपर मैथिली भाषामे पठन–पाठनमे सहयोग करए परिषद् आग्रह केलक अछि. तहिना बीतल बैशाख १२ गते शनिदिन गेल महाप्रलयकारी भूकम्पमे पैर जान गुमौनिहार व्यक्तिसबके आत्माक चिर शान्तिक कामना करैत घायल सबके शीघ्र स्वास्थ्यलाभके कामना बैठक केलक अछि. भूकम्पमे पैर परिषद्के भवन क्षतिग्रस्त भेल विषयमे सम्वन्धित निकायके जानकारी कराबए सर्वसम्मत निर्णय भेल अछि.
परिषद्द्वारा कएल जा’ रहल आन्दोलनमे अपन–अपन स्थानसँ सहयोगक करबाक लेल आग्रह अछि. संगहि एहि विषयमे अग्रजसभसँ सलाह सुझाओक अपेक्षा अछि.
(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)