
मैथिलीक प्रख्यात नाट्य संस्था मैलोरंग (दिल्ली) द्वारा ई नाटक प्रदर्शित कएल गेल. चर्चित कथाकार राजकमल चौधरीक किछु मैथिली कथाकें नाट्य रूपांतरण कऽ मंचित कएल गेल, जकर निर्देशन केलथि देवेन्द्र राज अंकुर आ सहनिर्देशक छलथि प्रकाश झा.
राजकमल कथा ललका पाग, वैष्णव, अलिखित पत्र केर नाट्य रूपांतरण कएल गेल छल. नाटकमे मुकेश झा, अनिल मिश्र, अमरजी राय, प्रवीण कश्यप, सोनिया झा आ सत्या मिश्र अभिनय केलनि. नाटक सराहल गेल.
(रिपोर्ट/फोटो : बाल मुकुंद पाठक)