कलकत्ता: साहित्य अकादेमी दू दिवसीय मैथिली संगोष्ठी केर आयोजन स्थानीय कार्यालय सभागारमे आयोजित केलक अछि. संगोष्ठी 4, डीएल खान रोड स्थित अकादेमी सभागारमे आगामी शनि-रविकें भोरे 10 बजे सं अछि. साहित्यकारत्रय जयनारायण मल्लिक, वैद्यनाथ मल्लिक विधु आ आनंद झा न्यायाचार्य केर जन्मशती पर आयोजित अछि. उदघाटन-समापन सत्र सहित कुल आठ सत्रक एहि दू दिनक संगोष्ठीमे मैथिलीक अनेक साहित्यकार-विचारक भाग ल' रहल छथि. उपरोक्त साहित्यकार लोकनि पर बेसी सामग्री उपलब्ध नै छै, एहन चर्चा साहित्यिकार लोकनिक मध्य अछि. जओ कतहु सामग्री हेतैक त' से एहि संगोष्ठीमे सोझाँ आबि जेतैक. एहि गोष्ठीक महत्व एहू लेल बढि गेल छै. एहि अवसर पर अकादेमी द्वारा प्रकाशित साहित्य सस्त मोल पर उपलब्ध रहत. पोथी प्रेमी लेल ई खुशखबरी अछि.