
विद्यापति लेन (शास्त्रीनगर)मे आयोजित एहि कार्यक्रम केर उदघाटन आयकर आयुक्त अजय सिंह करताह. सभाक अध्यक्षता मिथिला समाद केर संपादक तारा कांत झा करताह. पहिल सत्रक विचारगोष्ठीमे वरिष्ठ साहित्यकार प्रफुल्ल कोलख्यान, लक्ष्मण झा सागर वक्तव्य रखताह. अतिथि रहताह समाजसेवी ओ उद्योगपति युगलकिशोर झा ओ जीबेन्द्र मिश्र. सत्रक संचालन करताह आकाशवाणी दड़िभंगा केर उद्घोषक मणिकांत झा. कार्यक्रम केर आरम्भ नैना, साम्भवी, अपर्णा ओ अस्मिता द्वारा गोसाओनिक गीतसं होयत.
जानकी सेवा संघ केर अध्यक्ष राज कुमार झा मिथिमीडियाकें बतओलनि जे दोसर सत्रमे आकाशवाणी दड़िभंगा केर कलाकार प्रवीण कुमार मिश्र ओ अंजना इस्सर द्वारा सांगीतिक कार्यक्रम प्रस्तुत कएल जायत. कार्यक्रममे हास्य-व्यंग्य कवि सम्राट जय प्रकाश चौधरी 'जनक' सेहो उपस्थित रहताह आ ई मुख्य आकर्षण अछि.