कलकत्ता: कार्तिक धवल त्रयोदशीक अवसर पर प्रत्येक वर्षक भांति एहू बेर रविदिन भोरे 9 बजे सं महानगरमे कलशयात्रा निकालल गेल. मिथिला विकास परिषद् केर मिथिला महिला मंच द्वारा गिरीश पार्क अवस्थित विद्यापति प्रतिमा सं भूतनाथ मंदिर धरि कलशयात्रा आयोजित भेल. एहि अवसर पर भारी संख्या मे महिला लोकनि कलश ल' राजपथ पर निकलल छलीह.
कलशयात्रा केर उदघाटन स्थानीय विधायक स्मिता बक्शी केलनि. मिथिला विकास परिषद् केर अध्यक्ष अशोक झा ओ मिथिला महिला मंच केर अध्यक्षा शैल झा महिला लोकनि कें कलश द' विदा केलनि. कलशयात्रा मे हजारक संख्यामे मैथिलानी भाग लेलनि.

— मिथिमीडिया ब्यूरो