
ज्ञात हो जे डॉ नवीन मैथिली आ हिन्दी दुनू भाखा मे पीएचडी केने छथि आ सम्प्रति जेएनयू मे प्रोफेसर छथि. ई विभिन्न भाखा ओ विधा केर 60 सं बेसी पोथी लिखने छथि. मैथिली मे हिनक 'चानन काजर', आधुनिक साहित्यक परिदृश्य, हाथी चलय बजार, मैथिली साहित्य : दशा, दिशा, सन्दर्भ सहित कतिपय संपादित पोथी आबि चुकल अछि. मिथिमीडिया दिस सं हिनका बधाइ.