
मूलतः समस्तीपुरक रहनिहार नरेश बेस उर्जा सं भरल लगलाह. ओ आइ-काल्हि एक मैथिली फिल्म हेतु दिन-राइत लागल छथि आ लगातार फिल्म निर्माण करबाक हेतु कटिबद्ध छथि. नरेश कतेको धारावाहिक हेतु पोस्ट प्रोडक्शन हेड केर रूप मे काज क' चुकल छथि. ओ एक बांगला आ एक नेपाली फिल्म सं सेहो जुड़ल रहल छथि. लगभग सात बरखक फिल्म ओ टीवी केर कार्य अनुभव ल' अपन भाखा मे फिल्म निर्माणक नियार मे जुटल नरेश सं बेस आशा कएल जा सकैत अछि. तखन देखबाक चाही ई अपन पहिल मैथिली फिल्म 'अपन प्रेम' सं लोकक कतेक प्रेम पबै छथि आ हिनक कटिबद्धता कतेक रंग अनैए. हिनका मिथिमीडिया दिस सं अशेष शुभेच्छा.