नव दिल्ली. विगत
दस बरखक भाँति एहि बेर पुनः दिल्ली स्थित संस्था 'विद्यापति मैथिल युवा
मंच' बसंत पंचमीक पावन अवसरपर 15 फरवरी 2013 कए
सरस्वती पूजनोत्सवक आयोजन
करए जा रहल अछि. विगत तीन महिना सँ प्रायः सभ रवि क' हिनका लोकनिक एहि
पूजा सम्बन्धी सामूहिक बैसार होइत अछि जाहि मे सुधारात्मक बिन्दु सभ पर
विशेष चर्चा आ कार्यकर्ता लोकनिक अनुभवक अनुसारे कार्य विभाजन
कयल जाइत अछि.
ज्ञात हो कि एहि सुअवसर पर माँ सरस्वतीक सविधि पूजा-अर्चनाक संगहि नेना सभ कें प्रोत्साहन हेतु कक्षा छ: स' ल' नवम धरिक छात्र/छात्राक बीच अनेकानेक गतिविधि जेना प्रश्नोत्तरी, चित्रकला, गायन आ
नृत्य प्रतियोगिताक पश्चात सांस्कृतिक कार्यक्रम (मैथिली गीतनाद)क आयोजन
सेहो कयल जाइत अछि. एहि विशेष अवसरपर संस्थाक विगत बरखक क्रियाकलाप आ
लेखक लोकनिक रचनाक एकटा अनुपम संग्रह 'स्मारिका' सेहो प्रकाशित कयल जाइत अछि. पूजा स्थल पर स्थानीय मैथिल आ अमैथिल दुनू समाजक योगदान निश्चितरूपे एहि सफल आयोजन के रूप मे देखबा मे अबैत अछि. सामाजिक, राजनितिक, विभिन्न संस्था आ शिक्षाविद लोकनिक
संगे मीडियाकर्मी लोकनिक भरपूर सहयोग स' पूजा मे प्रतिवर्ष वृहत रूप
देखबा मे अबैत अछि. संस्था द्वारा संचालित चैरिटेबल अस्पताल 'वी एम वाई एम
डिस्पेन्सरी' द्वारा निःशुल्क चिकित्सा परामर्श कैम्प आ संगहि रंग-बिरंगक
पत्रिका/कैसेट/ मिथिला पेन्टिंग आदिक स्टाल आ श्रद्धालु लोकनिक उपस्थितिसँ
पूजा पंडाल शोभायमान होएत अछि. संस्था दिस सँ विशेष आग्रह जे अधिकाधिक
संख्या में पधारी आ संस्थाक पूजा सम्बन्धी क्रियाकलाप कें सोझा-सोझी देखि
आनन्द ली आ सफल बनेबा मे अपन उपस्थिति स' कार्यकर्ता लोकनिक मनोबल बढाबी. (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
ज्ञात हो कि एहि सुअवसर पर माँ सरस्वतीक सविधि पूजा-अर्चनाक संगहि नेना सभ कें प्रोत्साहन हेतु कक्षा छ: स' ल' नवम धरिक छात्र/छात्राक बीच अनेकानेक गतिविधि जेना प्रश्नोत्तरी, चित्रकला, गायन
Maithili News, Mithila News, Maithili Sahityakaar, Gajal, Kavita, Sampark, Goshthi, Maithili News