नव दिल्ली. विगत २६ अगस्त कें "सुन्दर संयोग" मंचन केर अपार सफलताक बाद "दिल्ली सरकार" केर तत्वाधान मे मैलोरंग रेपर्टरी पुनः एक नाटक "ओरिजनल काम" प्रस्तुत करय जा रहल अछि. सुप्रसिद्ध मैथिली नाटककार महेन्द्र मलंगिया लिखित एहि नाटकक निर्देशन क' रहल छथि प्रकाश झा. एहि नाटक मे मैलोरंग रेपर्टरीक माँजल अभिनेता आ अभिनेत्री लोकनि पुनः अपन अभिनय प्रतिभा देखबय हेतु तैयार छथि. नाटकक मंचन शनिदिन १३ अक्टूबर २०१२ कें तालकटोरा स्टेडियम के सुर-ताल मुक्ताकाश मंच मे सांझ ६:३० बजे सं होयत.
मैलोरंगक स्थानीय कार्यालय मे विगत ०३ सितम्बर, २०१२ सं साँझक 6.00 बजे स' 9.30 बजे तक "ओरिजनल काम" नाटक लेल पूर्वाभ्यास शुरू भ' चुकल अछि.
(Report: मनीष झा 'बौआभाइ')